प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

गुरुवार, 12 अप्रैल 2018

जुनि टेरू मुरली तान

गीत

हे कान्हा जुनि टेरू मुरली तान-2
सुनिते टेर मधुर वंशी के-2
धक धक धड़कय जान
हे कान्हा जुनि टेरू मुरली तान

1
फुटि गेल गगरी दूध उनटि गेल, चुनरी उड़ल कोन ठाम-2
नाचय पैर करय मन छटपट-2 पहुँचय धुन जँ कान
हे कान्हा जुनि टेरू मुरली तान

2
काज अपन सब छोड़ि क' हम सब, आबि गेलौं तोहे पास-2
लाजे निखरि गेल रूप हमर पुनि-2 रासक भेल ओरियान
हे कान्हा...    

3
बिनु देखने मम मोन लगय नहिं, भेटय ने किछु आराम-2
सखि गोपियन सब ठार कदम तर-2 देने अहीं पर ध्यान
हे कान्हा...........

4
हर
हैर लेलौं हरी सब के चितवन, भेलौं अहाँ चितचोर
हैर लेलौं हरी अन्नू के चितवन, भेलौं अहाँ चितचोर
अमित शरण गहि लेल हे नटवर-2 लियौ कनेक सज्ञान
हे कान्हा......

अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें