प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

मंगलवार, 13 फ़रवरी 2018

कहमुकरी

#कहमुकरी

कछमछ कछमछ खूब करैए
छिहुलि हाथसँ ओ भागैए
राखि पाबै छी हम त' कहुना
के सखि बौआ ?
ने सखि इचना ।

●●●●●●●
मनमे उठय खूब हिलोर
जखन बैसाबथि अपन कोर
देखते रही हुनके हम ब्यूटी
के सखि साजन ?
ने स्कूटी ।
●●●●
घेंटक शोभा बढ़ा रहल
बिन कहने, सब सुना रहल
ओकरे पर जीवन केवाला
के सखि माला ?
ने सखि आला ।
●●●●●●●●
जाड़मे सटि हुनकासँ रहब
हुनका लेल दुनियाँ सँ लड़ब
पैसि गेल छथि मोनक भीतर
के सखि साजन ?
ने सखि हीटर ।
●●●●●●
फागुनमे ओ एबे करथि
हमरा रंग लगेबे करथि
खुबथि हमरा गरमे घेबर
के सखि साजन ?
ने सखि देवर ?
●●●●●●●
हुनका संगे नीक लागैए
हँसी खुशीसँ दिन कटैए
खेली संगे चोरा नुकैया
के सखि सैयाँ ?
ने सखि भैया ?

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें