प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

शुक्रवार, 16 फ़रवरी 2018

दुनियाँ भरिक टेंशनमे

298. दुनियाँ भरिक टेंशनमे

दुनियाँ भरिक टेंशनमे
हालत झूरझमान भेलै
हमरो सन बालबोध सभ
बड़ बेसी परेशान भेलै

भरि दिनमे की की बतबी
काज कतेक कर' पड़लै
मैथ अंग्रेज़ी भाषा सभसँ
भरि दिन लड़' पड़लै
सबक बनल नै जखन त'
क्लासहिँमे अपमान भेलै
दुनियाँ भरिक टेंशनमे
हालत झूरझमान भेलै

कखनो माएक टहल केलौं
बाबाक पैर जाँत' पड़लै
बाबीक चश्मा हम खोजलौं
सभकेँ चाह बाँट' पड़लै
कोनो चीज लए दौड़ा दौड़ी
दसो बेर दोकान भेलै
दुनियाँ भरिक टेंशनमे
हालत झूरझमान भेलै

जखने सोनू मोनू एलै
तकरो संग खेल' पड़लै
अंकल आँगन गेंद गेलै त'
डाँट हुनक झेल' पड़लै
मस्ती करितौं भरि दिन से
बुकनी सभ अरमान भेलै
दुनियाँ भरिक टेंशनमे
हालत झूरझमान भेलै

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें