281. पिछला सालक मजा
एको दिन नै मोन दुखेलै
पिछला साल मजा बड एलै
नानी गाम घुमै लए गेलौं
गर्मी छुट्टी ओतै मनेलौं
गाछीमे झा खेब खेलेलौं
आमक भोज बहुते भेलै
पिछला साल मजा बड एलै
मामीकेँ त' बौआ भेलै
हमरा घरमे बुच्ची एलै
तखने लगन उचरिये गेलै
चाच्चा के त वियाह भेलै
पिछला साल मजा बड़ एलै
छठि दिवली काली पूजा
गाड़ल गेल महाविर धुजा
ओहिमे भेलै पेटक पूजा
हँसी खुशीसँ ई कटि गेलै
पिछला साल मजा बड एलै
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें