प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

बुधवार, 3 जनवरी 2018

पिछला साल मजा बड एलै


280.
पिछला साल मजा बड एलै

1
यादि करै छी की सब भेलै
पिछला साल मजा बड एलै

जनवरीमे झंडा फहरेलियै
भाषण देलियै मेडल पेलियै
भरि फरवरी परीक्षा देलियै
मार्चमे ओहिमे टॉप बनलियै
अप्रैल नया किलासमे गेलियै
मई एलै मॉनिटर भेलियै
जूनमे गर्मी छुट्टी भेलै
पिछला साल मजा बड एलै

मामीकेँ त' बौआ भेलै
पूरा जुलाइ ओहिमे गेलै
अगस्तमे फेर झंडा फहरेलै
सितम्बर दुर्गा पूजा एलै
अक्टूबर छठिमे मस्ती भेलै
नबंबर स्कूल टूरमे गेलै
दिसम्बर क्रिसमस छुट्टी भेलै
सब महिनामे मस्ती भेलै
पिछला साल मजा बड एलै ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें