प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

शनिवार, 30 दिसंबर 2017

चन्दा मामा करू डरामा

अझुका रचना- बाल कविता
279. चन्दा मामा करू डरामा

चन्दा मामा चन्दा मामा
पहिरू कुर्ता चुस्त पैजामा
नहि दहिना आ नहिये बामा
सब ठाम छै एकर डरामा

आब चुनावक टिकट कटाबू
नम्हर पोस्टर अहाँ छपाबू
नेताजी बनि करू डरामा
चन्दा मामा चन्दा मामा

बित्ता भरिक केश बढ़ाबू
उठि क' भोरे ताल मिलाबू
गायक बनि क' करू डरामा
चंदा मामा चंदा मामा

नै किछ त' नव रूप बनबियौ
स्कूलमे पढ़ै लेल आबियौ
बच्चा बनि क' करू डरामा
चन्दा मामा चन्दा मामा

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें