प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

बुधवार, 15 फ़रवरी 2017

गजल- एहन सन अपन वेलेंटाइन हेतै

गजल

किछु एहन सन अपन वेलेंटाइन हेतै
प्रेमक अनुबन्धपर दू टा साइन हेतै

किछु माँगब नै अहाँँ, किछु देबो नै करबै
बिनु कहने सब लुटाबै केँ माइन हेतै

हम राखब छोड़ि देने छी काजर सुइया
प्रियतम छै संग, नै कोनो डाइन हेतै

ई दुनियाँ नै हमर छै नै तोहर मीता
हम तोहर छी हमर तूँ, ई माइन हेतै

चल सजतै अपन नेहक आँगन फेरो
जत' जीवनक स्वादो नै अकथाइन हेतै

2222-1222-2222
अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें