प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

रविवार, 27 मार्च 2016

समर्थन

203
समर्थन

ब्लॉक ऑफिसमे बड गहमागहमी छलै ।उम्मीदवार आ समर्थकसँ कम्पाउण्ड भरि गेल छलै ।तेतर पासवान अपन नॉमिनेशन करा क' निकलल त' समर्थक सब जय जयकार कर' लागल ।जखन ओ गेट लग गेल त' देखैये जे छत्तन जुलूस संग आबि रहल छल ।दुनू सहोदराक आँखिमे आँखि मिललै त' तेतर पूछि देलकै -'रौ, तूँ एत' की करै छहीं ।'
- एत' अल्हुआ त' नहिये ने कोड़बै...नॉमिनेशन करबै लेल एलियै मुखियामे 'एहन खरूछाएल जबाबसँ तेतरक मोन विचलित भ' गेलै तैयो सम्हरि क' बाजल -  ई की कहै छें भाइ !हम त' मुखियामे ठाढ़ भैये गेलियै तखन...
- तखन की ?हमहूँ ठाढ़ हेबै त' कोन दिक्कत ?
- आखिर अपन घरेक बात छै ने ।हमरे भोट काटै लेल किए उताहुल भेल छें ?
- रण भूमिमे किओ एगो त' कटबे करतै ने ।एत' हम तोहर आ तूँ हम्मर प्रतिद्वन्दी छहीं ।भाइ-भैयारी घरे तक छै ।
देखिते-देखितै ओतै भैयारी झगड़ा शुरू भ' गेलै ।दुनूक समर्थक मोने-मोने खुश भ' रहल छल आ सोचि रहल छल जे भने उम्मीदवार सबमे झगड़ा होइत रहौ ।हमरा सबकेँ की ?सब दिस अपन समर्थन देखेबै, सब दिससँ बोतल लेबै ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें