प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

शनिवार, 15 अगस्त 2015

वर्णमाला : फ

बाल कविता- 206
वर्णमाला : फ



"फ"सँ फटक्का आनि दिअ
आनि दिअ आइ कक्का यौ
छठि दिवाली आबि रहल छै
आनू फुलझड़ी चक्का यौ

बुलेट हाइड्रो आ मिरचैया
आनू अहाँ अकासी यौ
नागिनके दू-चारि टा पैकेट
संगे छुरछुरी पचासी यौ
हुक्का-पाती बनबे करतै
बना दिअ एक लुक्का यौ
छठि दिवाली आबि रहल छै
आनि दिअ आइ कक्का यौ

हाथ बचा कऽ फोड़ब सबटा
लगा कऽ लुत्ती भागब यौ
घर-दुआरिसँ दूरे हम रहब
जान बचा कऽ खेलब यौ
देखू अकासी उड़लै कोना
जेना धौनीक छक्का यौ
छठि दिवाली आबि रहल छै
आनि दिअ आइ कक्का यौ


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें