प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

शनिवार, 4 जुलाई 2015

वर्णमाला : छ (दू)

बाल कविता -190
वर्णमाला : छ (दू)




"छ"सँ छप्पर
तैपर कौआ
निच्चा बाजै
कुकुर कटौआ

"छ"सँ छाल्ही
दही महौआ
घुट घुट खाइ
सोना बौआ

"छ"सँ छक्का
गेन कुदौआ
खेलब क्रिकेट
आइ हुमचौआ

"छ"सँ छठि
सुरज उगौआ
काटलक केश
बुढ़बा नौआ


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें