प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

शनिवार, 13 जून 2015

वर्णमाला :ए (दू)

बाल कविता-177
वर्णमाला :ए


एसँ एक्का खूब चलाबी
एसँ एकटा खेल खेलाबी
एसँ एकर नाम बताबी
एसँ एम्हर डेग बढ़ाबी
एसँ एखन गीत सुनाबी
एसँ एहन मीत बनाबी
एसँ एकरा पढ़ि देखाबी
एसँ एसगर नहिञे आबी
एसँ एत्ते प्रश्न बनाबी
एसँ एहिना हँसी-हँसाबी


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें