प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

शनिवार, 19 अक्तूबर 2013

किम्हर जाँउ ?

107. किम्हर जाँउ ?

झाँउ-झाँउ-झाँउ झाँउ-झाँउ-झाँउ
किम्हर जाँउ ? हम किम्हर जाँउ ?

एक दिस सुख्खल हड्डी छै, झाँउ
दोसर दिस टटका माँउस छै, झाँउ
अपन मोनकेँ कोना बुझाँउ ?
झाँउ-झाँउ-झाँउ हम किम्हर जाँउ ?

एक दिस पुआरक सेजौट छै, झाँउ
दोसर दिस तोसक, तकिया छै, झाँउ
क्षण दू क्षण लेल कतऽ सुस्ताँउ ?
झाँउ-झाँउ-झाँउ हम किम्हर जाँउ ?

एक दिस चोर छै सन्दूक लऽ, झाँउ
दोसर दिस डाकू छै बन्दूक लऽ, झाँउ
सूतल पुलिसकेँ कोना जगाँउ ?
झाँउ-झाँउ-झाँउ हम किम्हर जाँउ ?

एक दिस मालिक छै लाठी लऽ, झाँउ
दोसर दिस भुखाएल बाघ छै, झाँउ
अपन जान आब कोना बचाँउ ?
झाँउ-झाँउ-झाँउ हम किम्हर जाँउ ?

अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें