प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

शनिवार, 13 अप्रैल 2013

फाइल बन्न

फाइल बन्न

मोटका करिया कम्मलमे लपटाएल
ई वातावरण लागै भकुआएल
दूर-दूर धरिक हरियरी उपटाएल
खाधि, पानि आ माटिक छोट-छोट ढेरी
तकर बीच ठाढ़ विशालकाय चिमनी
तकर गर्भ स्थलक कतेको द्वारसँ निकलैत
पएर, हाथ, केश, माँथ आ पिपनी-डिम्मा
कोयलाक गंध आ रंगसँ कोयलामय भेल
ओ नेनाक सम्पूर्ण कोमल मुदा कठोर देह
देखा रहल छल चिमनिये सन पैघ ठेंगा
सर्व शिक्षा अभियान आ बाल सुधार सन
कार्यक्रमकें जे स्वयंपर सबाल बनि गेल अछि
आ छाति तानि खोलि रहल छल पोल
एहन कतेको फाइल बन्न दोषपूर्ण अभियानकें

अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें